आंध्र प्रदेश ट्रेन हादसा मे बेगूसराय के एकहि परिवारक 7 गोटेक मौत

    0
    301

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: आंध्र प्रदेश मे भेल ट्रेन हादसा मे मरय वला मे 7 गोटे बेगूसराय के रहय वला छल। अहि घटना मे जतय एक गोटे लापता अछि ओतहि 6 गोटे गंभीर रूप सं घायल अछि। मरय वला बेगूसराय के खोदाबंदपुर थाना क्षेत्र मिर्जापुर गामक रहय वला छल। सब मधुमक्खी पालन के व्यवसाय स जुडल छल। मरय वला मे कुलिया देवी, बनिया देवी, धन्ना कुमारी, कृष्णा कुमार, शाही कुमार शामिल अछि।

    पुलिस के अनुसार अहि ट्रेन मे एकही परिवारक 14 गोटे यात्रा कय रहल छल। घटनाक सूचना के बाद पुलिस मिर्जापुर गाम पहुंचकय ग्रामीण सं जानकारी लेलक अछि। अहि संबध मे पुलिस मृतक के समस्तीपुर मे रहय वला दू टा परिजनक इंताजार कय रहल अछि। परिजन के बेगूसराय पहुंचला पर आंध्रप्रदेश पठाओल जायत।

    बेगूसराय के एसपी रंजीत कुमार मिश्र कहलनि जे, जानकारी भेटल अछि जे, सात गोटेक मौत भय चुकल अछि। सब एकही परिवारक छल। गौरतलब अछि जे, आंध्र प्रदेश के विजयनगरम जिला मे जगदलपुर स भुवनेश्वर जाय वला हीराखंड एक्सप्रेस पटरी स उतरि गेल। अहि हादसा मे 39 गोटेक मौत भय गेल, जहन कि 50 स अधिक घायल अछि।