विद्यालय मे कुव्यवस्थाक खिलाफ़ छात्र कयलनि सड़क जाम

    0
    259

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत कुमार झा: दरभंगाक बेनीपुर क्षेत्रक मध्य विद्यालय जरिसो मे व्याप्त कुव्यवस्थाक खिलाफ़ छात्र लोकनि ग्रामीण सबहक सहयोग सं बहेरा-बहेरी मुख्य पथ के जाम क उग्र प्रदर्शन कयलनि। छात्र लोकनिक कहब छनि जे, विद्यालय मे शिक्षा व्यवस्था साफ चौपट भय गेल अछि, मध्याहन भोजनक चावल प्रधानाध्यापक, रसोइया आ शिक्षक मिलि-जुलि कय खा जाइत छथि।

    सूत्रक अनुसार प्रदर्शन सं पहिनहि प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी केर आवेदन भेजल गेल छल मुदा कोनो सुनवाई नहि भेला पर छात्र लोकनि के विवश भय प्रदर्शन आ सड़क जाम करई पड़लनि।

    बाद मे बहेरा थाना पुलिस दल बल केर संग पहुँचि कय छात्र लोकनि के समझा-बुझा जाम के हटउलनि। जाम हटलाक बाद बहेरा प्रखंड प्रमुख मनोज मिश्र, प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी उत्तम प्रसाद विद्यालय पहुँचि कय प्रधानाध्यापक के फटकार लगउलनि आ विद्यालयक व्यवस्था सुधारबाक चेतावनी देलनि।