खजौलीक सुक्की आ कोरहियाक बीच कमला नदीक किनारमे लाश भेटला सं सनसनी

    0
    327

    मधुबनी ब्यूरो,मिथिला मरर-पारस ठाकुरः खजौली थाना क्षेत्रक सुक्की आ कोरहिया गामक बीचमे कमला नदीक कछैर मे शनिदिन भोरे एकटा 22 सालक युवाकें गरदैन रेत कऽ निर्मम हत्या करवाकर एकटा सनसनीखेज घटना उजागर भेल। मृतक बालक केर पहचान जयनगर थाना क्षेत्र के कुआढ गांव निवासी रामेश्वर दासक 22 वर्षक बेटा मनीष कुमार दास के रूप मे कैल गेल।
    सूचना पाइव खजौली पुलिस घटना स्थल पर पहुंच कऽ लाशकें पोस्टमार्टमक लेल सदर अस्पताल मधुबनी भेज देलक। पुलिस एखन तक घटना के कारणक पता नहि कऽ पेलक अहि। ओना पुलिस इ घटना के अनेक बिंदु सं जोइर का देख रहल अछि। पुलिसक मानी त इ घटना शुक्रदिनक राइतक बतायल जा रह अइ।