आईएस ज्वॉइन करबाक लेल जा रहल पटनाक महिला गिरफ्तार

    0
    273
    सूत्रक अनुसार यास्मीन काबुल जा कय केरला यूथ के ग्रुप ज्वाइन करबाक विचार मे छली। केरल के 21 लोकक ई ग्रुप एक महीना स लापता अछि। बताओल जा रहल अछि जे ई ग्रुप आईएस ज्वाइन कय चुकल अछि। कहल जा रहल अछि जे, यास्मीन मुहम्मद सेहो ग्रुप मे शामिल हेबाक लेल रविदिन भोरे दिल्ली के हवाईअड्डा पहुचल छली।

    बताओल जा रहल अछि जे यास्मीनक संबंध कासरगोड के अब्दुल राशिदक संग छल। राशिद के विषय मे कहल जा रहल अछि जे केरल स आईएस ज्वाइन करबाक लेल गेल 21 टा युवकक ग्रुप के मुख्य योजनाकार छल।

    यास्मीन के दिल्ली हवाईअड्डा पर सिक्योरिटी चेकिंग के दौरान इमिग्रेशन ऑफिसर हिरासत मे लेलनि, जकरा बाद यास्मीन के दिल्ली पुलिस के स्पेशल सेलक हवाला कय देल गेल।