पानिक लेल मुजफ्फरपुरकेँ कांटीमे सात घंटा धरि हंगामा

    0
    412

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर विद्युत उत्पादन निगम लिमिटेड कांटी थर्मलमे ट्यूबवेल सं पानि लेबाक बाद क्षेत्रमे हाहाकार मचि गेल। आसपासके दर्जनो गाममे चापाकल सूखेला सं ग्रामीणक आक्रोश फूटि पड़ल। विशुनपुर सुमेर गामक ग्रामीण जतय नेता चौकके समीप करीब सात घटा तक फोरलेन जाम कय देलक, ओतहि काटी-मड़वन रोडमे शेरना गामक समीप सेहो पूरा दिन सड़क जाम कय तामसक इजहार कएल गेल।

    अहि दौरान लोककें समझेबाक लेल गेल बीडीओकें सेहो भगा देल गेल। संगहि विरोध प्रदर्शन कय वीडियो क्लीप बना रहल सीआइएसएफ जवानक संग धक्का-मुक्की कएल गेल। चारु दिस सं सड़क जाम हेबाक कारण चिलचिलाईत रौदमे यात्री परेशान छल।

    काटी थर्मलमे नवनिर्मित यूनिट तीन सं उत्पादन प्रारंभ करबाक लेल करीब एक दर्जन सं अधिक ट्यूबवेल सं पानिक निकासी कएल गेल छल। सही कारण थर्मलक 10 किमीकें परिधिमे जलस्तर काफी नीचां चलि गेल। हालत एतेक ख़राब छल कि विशुनपुर सुमेर, काटी, कुशी, बरियारपुर, नारायण भेड़ियाही, शेरना, सोती भेड़ियाही, साइन समेत एक दर्जन सं अधिक गामक चापाकल सूखा गेल।