मांगक समर्थनमे भाकपा माले’क धरना प्रदर्शन

    0
    408

    दरभंगा, मिथिला मिरर: भाकपा माले कार्यकर्ता कोठिया पंचायतक मुखिया व पंचायत सचिवक मनमानी पर रोक लगेबाक, पंचायत सचिव व पंचायत रोजगार सेवकक उपस्थिति पंचायतमे सुनिश्चित करबाक, पेंशनघारीक सूचीकें छाया प्रति उपलब्ध करेबा समेत दस सूत्री मांगकें लय बुधदिन भाकपा मालेक कार्यकर्ता प्रखंड मुख्यालय पर धरना प्रदर्शन केलक। प्रदर्शन पार्टीक प्रखंड सचिव धर्मेंश यादवक नेतृत्वमे कएल गेल।

    कोठिया पंचायतक उपमुखिया लालबाबू पासवानक अध्यक्षतामे भेल सभाकें संबोधित करैत पार्टीक राज्य कमेटी सदस्य व जिला सचिव बैघनाथ यादव मांगक पूर्ति पर बल दैत केंद्र व राज्य सरकार पर जमिकय हमला केलनि। ओ 9 मार्च कय लहेरियासराय स्थित जिला समाहर्ता कार्यालयके समक्ष आहुत घरनामे अधिकाधिक संख्यामे भाग लेबाक अपील केलनि।

    ओतहि राशन कार्ड बनेबाक लेल प्रखंडमे आवेदन जमा करेबाक मांग कएल गेल। मौका पर प्रखंड सचिव धर्मेंश यादव, गोपाल कुमार मांझी, मो. जाबेद, गोपी पासवान, रेबी यादव, मो अंसार, कमल पासवान, मो बदरूल, शत्रुहन पासवान समेत बहुतो लोक अप्पन विचार रखलनि।