समस्तीपुर मे बलात्कार के बाद छात्रा’क हत्या

    0
    509

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुर मे एकटा युवतीक रेपक बाद हत्या करबाक मामला सामने आयल अछि। मृतक बीए पार्ट थ्री’क छात्रा बताओल जा रहल अछि। पटोरी थाना क्षेत्रक चकसलेम गामक रहय वाली छात्रा सन्नू कुमारीक लहास कर्पूरी ठाकुर स्टेडियम के पाछु रेलवे ट्रैकक कात स पुलिस बरामद केलक अछि।

    मृतकक पिता ब्रजेश कुमार के अनुसार हमर बेटी फोन कय कहलक कॉलेज स सम्बन्धित काजक लेल मिथिला विश्वविद्यालय दरभंगा जाय पड़त। अहिक लेल हमरा एबाक लेल कहलक। जहन पिता ब्रजेश घर अयलाह आ बेटी के नहि देखला त कॉलेज स लय विश्वविद्यालय तक खोजलनि मुदा छात्रा सन्नू के कोनो पता नहि।

    अहि के बाद स्थानीय थाना मे अहि के लेल मामला दर्ज करौलनि। अहि मामला मे पुलिस किछु कय सकैत ओहि सं पहिने छात्राक लहास बरामद भेल। लड़कीक पिता दुष्कर्मक बाद हत्या करबाक बात कहि रहल छथि। अहि मामला मे तीन गोट युवक पर पटोरी थाना मे मामला दर्ज कराओल गेल अछि। वारदात के बाद सब आरोपी फरार बताओल जा रहल अछि।