पटना मे दिनदहाड़े एएसआई के हत्या

    0
    491

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे आब अपराधी कानून-व्यवस्था के सेहो ठेंगा देखा रहल अछि। पटना के फतुहा थानाक्षेत्र के फतुहा ओवरब्रिज के समीप दिनदहाड़े एकटा पुलिस एएसआई के हत्या कय सर्विस पिस्टल लूटि लेल गेल।

    अज्ञात अपराधी एएसआई के निशाना बनबैत गोली मारि कय हत्या कय देलक। स्थानीय लोक घटना के जानकारी पुलिस के देलक, जाहि के बाद पुलिस मौका पर पहुंचकय एएसआई के इलाजक लेल फतुहा पीएचसी भेज देलक, जतय डाक्टर एएसआई के मृत घोषित कय देलक।

    मृतक के संग सं भेटल आईडी स मृतकक पहचान एएसआई आरआर चौधरी के रूप मे कायल गेल। पुलिस घटनास्थल स एएसआई के मोटरसाइकिल सेहो बरामद केलक अछि। गाड़ी के रजिस्ट्रेशन नालंदा जिला के अछि।