धूम-धाम सं भेल गणेश पूजाक आयोजन

    0
    277

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: सोमदिन मंगलमूर्ति विघ्ननाशक भगवान गणेशजीक आगमन अत्यंत हर्ष व भक्तिमय वातावरण मे भेल। आनंदपुर दरभंगाक विद्यापति चौक के भूमि पर अत्यंत श्रद्धा व भक्तिमय वातावरण मे गणनायक भगवान गणपतिक पूजा अराधना होइत आबि रहल अछि।

    विद्यापति सेवा संस्थानक महासचिव डॉक्टर बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’ संग बहुत रास लोक गणेश पूजन मे धूमधाम एवं भक्तिमय वातावरण मे पूजा-अर्चना करैत सभ कियो उमंगित व प्रफुल्लित छथि।