मिथिला मिरर, पटनाः बिहार राज्यक राजनीतिक पटल पर फेर एक बेर हलचल तेज भ’ गेल अछि। ऑल इंडिया मजलिस-ए-इत्तेहादुल मुस्लिमीन (AIMIM) पार्टीक प्रमुख विधायक सभ मंगलदिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सँ अचानक मुलाकात केलनि। एहि गोपनीय भेटक बाद राजनीतिक गलियारा मे तरह–तरहक कयासबाजी तेज भ’ गेल अछि। भलेहि भेटक असल कारण सार्वजनिक नहि भेल अछि, मुदा ई मुलाकात सत्ता समीकरण मे कोनो न कोनो फेरबदलक संकेत जरूर द’ रहल अछि।
सूत्रक जनकारी अनुसार, AIMIM विधायक सभ करीबन आधा घंटा धरि नीतीश कुमारक संग बंद कोठरी मे बातचीत केलनि। खास बात ई अछि जे ई भेट ओहन समय मे भेल अछि, जखन बिहार मे राजनीतिक गठजोड़, दल-परिवर्तन आ भविष्यक रणनीति पर लगातार चर्चा रहल अछि। AIMIMक वोट बैंक किछु क्षेत्र मे प्रभावशाली मानल जाएत अछि, आ यदि पार्टीक कोनो विधायक NDA वा जदयू सँ नजदीकी बनबैत छथि, त’ ई आगामी चुनावी गणित मे बड़ पैघ प्रभाव छोड़ि सकैत अछि। जदयू सूत्र कहैत अछि जे ई मात्र “शिष्टाचार भेंट” छल, मुदा विपक्ष आ राजनीतिक विश्लेषक एकरा साधारण मानबाक स्थिति मे नहि छथि। हुनकर अनुसार, बिहारक राजनीति मे छोट-छोट दलक भूमिका अक्सर निर्णायक बनैत अछि, आ AIMIM विधायकक एहि पहल सँ भविष्यक राजनीतिक परिदृश्य मे परिवर्तनक संभावना बढ़ि गेल अछि। एहि संपूर्ण घटनाक्रमक बाद सभक नजर आब नीतीश कुमारक अगला कदम पर टिकि गेल अछि। साफ अछि कि बिहारक राजनीति फेर एक बेर उबालक स्थिति मे पहुँचि गेल अछि, आ आगू किछु बड़का बदलाव देखल जाए सकैत अछि।




