मधुबनी निकाय चुनावक लेल बहुत वार्डमे एखन धरि नामांकनक खातो नहि खुजल

    0
    570

    मधुबनी, मिथिला मिरर: नगर निकाय आम चुनावक लेल नामांकनक चारिम दिन पांच अभ्यर्थी मधुबनी नगर परिषद चुनावक लेल नामजदगीक पर्चा दाखिल केलनि। अहिक संग नगर परिषद चुनावक लेल नामांकन दाखिल करय वला अभ्यर्थीक संख्या 20 भए गेल।

    शनिदिन जे अभ्यर्थी नगर परिषद, मधुबनीक चुनावक लेल नामजदगीक पर्चा दाखिल केलनि ओहिमे वार्ड नंबर-10 सं रेहाना खातून, वार्ड नंबर-12 सं सुनीता देवी, वार्ड नंबर- 19 सं पंकज कुमार झा, वार्ड नंबर-20 सं राजेश कुमार तथा वार्ड नंबर-22 सं नरगिस बानो शामिल छथि। उल्लेखनीय अछि जे नामांकन दाखिल करबाक लेल आब महज चारि दिन शेष अछि, बावजूद अहिकेँ नगर परिषद, मधुबनीक बहुतो वार्ड सं एखन धरि नामांकनक खाता नहि खुजल अछि।

    नामांकन दाखिल करबाक अंतिम तिथि 27 अप्रैल निर्धारित अछि। नगर परिषदके 30 वार्डमे सं एखन धरि 16 वार्ड सं त एकहु टा अभ्यर्थी नामांकनक पर्चा दाखिल नहि केलक अछि। जाहि वार्ड सं एखन धरि नामांकनक खाता नहि खुजल अछि, ओहिमे वार्ड नंबर-2, 3, 4, 5, 8, 14, 15, 16, 17, 18, 21, 24, 25, 26, 27 एवं 28 शामिल अछि।