आजादी’क 70 साल बादो नहि भेटल बिजली’क सुविधा

    0
    331

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: आजादीक सातम दशक मे एक दिस जतय डिजिटल इंडिया आ तरह-तरह कें नव तकनीकक बात भय रहल अछि। ओतहि रोसड़ा प्रखंड मे आइयो बहुतो एहेन गाम अछि, जतय बल्ब जरनाई त दूर, आई धरि बिजलीक खंभा तक नहि लागि सकल अछि। अहि मे ढ़रहाक कुशवाहा टोल सेहो शामिल अछि। जतय लोक आई धरि मात्र आश्वासन एवं दावाक भरोसे गाम कें रोशन हेबाक इंतजार कय रहल अछि।

    कुशवाहा टोल सं महज 500 मीटरक दूरी पर पंचायतक दोसर गाम वर्षो सं रोशन अछि। मुदा विभागीय उपेक्षाक दंश झेलि रहल अहि गामक लोक अपन भीतरक टीस दबौने, अन्हार मे जीवन बसर करबाक लेल मजबूर अछि। गामक 93 वर्षीय मन्नू महतो कहै छथि जे, दशको सं बिजलीक आश मे आँखि पथरा गेल अछि। पंचायत स्तर के नेता सं लय कय चुनाव मे पैघ-पैघ वाहन सं आबय वला नेता गाम कें रोशन करबाक आश्वासन अवश्य दैत छथि, मुदा चुनाव जीतलाक बाद आई धरि कोनो विधायक-सांसद अहि दिस ध्यान देबा मुनासिब नहि बुझला।

    ओ कहलनि जे, नेताजी के अहि वादा खिलाफी सं आब एहेन लागि रहल अछि जे, हमरा सब अहि कुशवाहा टोल मे बिजली नहि देखि सकब। ओतहि समाजसेवी रामचरित्र महतो विभागीय पदाधिकारी एवं मंत्री सं लय कय मुख्यमंत्री तक के दरबज्जा खटखटउलनि, मुदा आई धरि कोनो उम्मीद नहि देखबा जा रहल अछि।