उपस्वास्थ्य केंद्र बंद भेला सं 40 किलोमीटर दूर जाय पड़ैत अछि ईलाजक लेल

    0
    366

    दरभंगा, मिथिला मिरर-फखरे आलम: घनश्यामपुर प्रखंड अन्तर्गत जयदेवपट्टी गामक उपस्वास्थ्य केंद्र वीरान पड़ल अछि। 15 लाख सं अधिक के लागत सं बना ई उपस्वास्थ्य केंद्रक कोनो उपयोग नहि कायल जा रहल अछि। वीरान पड़ल अहि भावनक कियो देखभाल करय वला नहि। आब त मात्र शौचालय बनिकय रहि गेल अछि ई उपस्वास्थ्य केंद्र।

    बहुतो बेर पंचायतक ग्रामीण द्वारा पदाधिकारी के कहलाक बादो कोनो तरहक सुनवाई नहि भेल अछि। बेनीपुर प्रमंडलक चिकित्सा पदाधिकारी पर अहि बातक कोनो प्रभाव नहि पड़ि रहल अछि। सुनील झा, रामजीवन झा, कैलाश मिश्र, नूतन देवी, विजयलक्ष्मी कुमारी संगहि बहुतो ग्रामीण उपस्वास्थ्य केंद्र चालू नहि भेला सं असुविधाक बात कहलनि।

    हालत ई अछि जे, एतुका लोक के 40 किलोमीटर दूर दरभंगा जा कय इलाज कराबय पड़ैत अछि। हालहीं मे बबिता देवी के उपचारक लेल 40 किलोमीटर दूर दरभंगा जाय काल बीच रस्ते मे शिशुक मृत्यु भय गेल छल।