लखनौरमे बनत 30 बेड वला सामुदायिक स्वास्थ्य केंद्र

    0
    268

    मधुबनी, मिथिला मिरर: विधायक गुलाब यादव लखनौर प्रखण्ड कार्यालय सं पूब अ‌र्द्धनिर्मित अस्पताल भवनक प्रांगणमे तीस बेड वला सामुदायिक स्वास्थ्य केन्द्र भवनक निर्माणकें शिलान्यास केलनि। ई भवन स्वास्थ्य विभागके बीएमसीआइसीएल योजनाक अन्तर्गत तीन करोड़ 64 लाखक लागत सं बनिकय तैयार होएत। जाहि सं क्षेत्रक लोककें इलाजक लेल अनुमंडल अस्पताल नहि जाए पड़नि।

    शिलान्यास समारोहके अवसर पर विधायक गुलाब यादव कहलनि जे, अस्पताल भवनक शिलान्यास सं विधानसभाके पूर्व अध्यक्ष सह विद्वान नेता स्व. पंडित राधानन्दन झाक चिरपरिचित इच्छा आय पूरा भेलनि अछि। विधायक कहलनि जे, पंडित राधानन्दन झाके प्रयास सं एतय 1980के दशकमे अस्पतालक भव्य मकान बनेनाइ शुरू भेल छल जे, राजनीतिक पेंचमे फंसि कय पूरा नहि भए सकल।

    विधायक कहलनि जे, पंडित झा’क ई इच्छा सामाजिक सरोकार सं जुड़ल छल। ताहि लेल अहि अस्पताल निर्माणक मंजूरी भेटल अछि।