बिहार एसएससी परीक्षा’क उत्तर पुस्तिका लीक मामला मे 200 करोड़ रुपैयाक खेल

    0
    696

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार कर्मचारी चयन आयोगक परीक्षा रद्द कय देल गेल अछि। अहि समाचारक बाद भाजपाक वरिष्ठ नेता आ पूर्व उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी बिहार सरकार पर जुबानी हमला केलनि।सुशील मोदी ट्वीट कय कहलनि जे, एसआईटीक अनुमान अछि जे, बीएसएससी परीक्षाक लीक करेबा मे 200 करोड़ रुपैयाक खेल भेल अछि। ओ ट्वीट कय कहलनि जे, जाहि रैकेट मे 100 सं अधिक मोबाइल नंबरक उपयोग कय परीक्षार्थी स 2 सं 6 लाख रुपैया तक वसूलल गेल अछि।

    ओ कहलनि जे, की एसआईटी आ कानूनक हाथ पैघ लोक धरि पहुंचत? अहि सं पहिने बुधदिन बिहार पुलिसक एसआईटी टीम बीएसएससी परीक्षा पर्चा लीक मामलाक किंगपिन परमेश्वर राम के गिरफ्तार केलक। पर्चा लीक मामला मे गिरफ्तार परमेश्वर बिहार बीएसएससी के सचिव छथि। गिरफ्तार करबा सं पहिने एसआईटी हुनका सं 24 घंटा धरि पूछताछ केलक