14 वर्ष सं फरार आरोपी के गिरफ्तार केलक झंझारपुर पुलिस

    0
    309

    मधुबनी, मिथिला मिरर: झंझारपुर के थानाध्यक्ष राम चन्द्र मंडल 14 वर्ष सं फरार चलि रहल ईनामी आरोपी कन्हौली निवासी नन्द कुमार झा के गिरप्तार कय गुरुदिन न्यायिक हिरासत मे पठा देलनि।

    थानाध्यक्ष राम चन्द्र मंडल के अनुसार गिरप्तार नन्द कुमार झा के खिलाफ वर्ष 2002 मे गवन के लय क प्राथमिकी दर्ज छल। जाहि मे ओ एखन धरि फरार छल। अहि बीच 2004 मे सरकार नन्द कुमार के पकड़बाक लेल ईनाम सेहो रखने छल।

    पुलिस के सूचना भेटल छल जे, नन्द कुमार झा गाम आयल अछि। गुप्त सुचनाक आधार पर पुलिस छापेमारी कय नन्द कुमार के गिरफ्तार कय लेलक। थानाध्यक्ष राम चन्द्र मंडल कहलनि जे, आरोपी के हिरासत मे लय क पूछताछ कायल जा रहल अछि।