दिल्ली-मिथिला मिररः लोमान्य तिलक टर्मिनल मुंबई सं मुजफ्फरपुर ओ दरभंगा तक चलैवला साप्ताहिक क्रमशः चारि दिन ओ तीन दिन पवन एक्सप्रेस ट्रेनक विस्तारक मांग आब जोरशोर सं उठय लागल अछि। अपने कें बता दी जे पवन एक्सप्रेस सप्ताह मे चारि दिन सोम, बुध, शुक्र ओ रविदिन मुजफ्फरपुर सं चलैत अछि जखन कि अन्य तीन दिन मंगल, बृहस्पति ओ शनिदिन एकर परिचालन दरभंगा जंक्शन सं होइत अछि।
वर्तमान मे मुंबई जेवाक लेल मिथिलावासी लग सुलभ सं बहुत बेसी ट्रेन नहि छन्हि एहन मे भारी संख्या मे मैथिलजन पवन एक्सप्रेसक भरोसे मुंह तकैत रहैत छथि। आब मुंबई मे रहि रहल प्रवासी मैथिल लोकन्हि अहि विषय कें जोरशोर सं उठेवाक निर्णय केलाह अछि। मुंबई मे रहि रहल उत्साही युवक धर्मकांत झा’क अगुआई मे एकटा प्रतितिध मंडल मिथिला मिरर सं संपर्क कय अहि खबैर कें उठेवाक आग्रह रविदिन सांझ मे केने छलाह।
धर्मकांतक कहब छन्हि जे जखन ट्रेनक विस्तारिकरणक दौर प्रारंभ भय गेल अछि त कियैक नहि दिल्ली-दरभंगा तक चलैवला स्वतंत्रता सेनानी एक्सप्रेसक तर्ज पर पवन एक्सप्रेस कें सेहो जयनगर तक विस्तार कय एकटा नव आयाम देल जाय। संगहि भारी संख्या मे मुंबई मे प्रवासी मैथिल ओ बिहारी रहैत छथि मुदा हुनका लेल ट्रेनक कोनो समुचित व्यवस्था नहि छन्हि। रेल मंत्रालय जगह-जगह कें लेल गरीबरथ, दुरंतो, संपर्क क्रांति इत्यादि ट्रेनक परिचालन करैत आबि रहल अछि एहन मे मुंबई सं मिथिलाक लेल कियैक नहि एहन ट्रेनक परिचालन शुरू कैल जा रहल अछि?
मिथिला मिरर अहि खबैर कें गंभीरता सं लय मिथिला ओ बिहारक कोटा सं एनिहार समस्त केंद्रीय ओ राज्य मंत्री आ सांसद लग जा अहि विषय कें राखत आ आगामी रेल बजट तक अहि विषय पर कोनो ठोस निर्णय लेवाक लेल हुनका लोकनि आ रेल मंत्रालय सं आग्रह करत। संगहि मिथिला मिरर मुंबई मे रहनिहार समस्त मैथिल ओ बिहारी लोकन्हि सं आग्रह कय रहल अछि जे अहि विषय पर अहुं लोकनि अपन शांतिपूर्ण आंदोलनक मांग सोशल मीडिया सहित अन्य जगह पर जा करी आ सरकार कें अहि दिशा मे सोचवाक लेल विवश करी।



