कानपुर मे विवश मैथिलानी, राष्ट्रीय स्तरक फुटबाॅल खिलाड़ी सपना झा

    0
    384

    दिल्ली,मिथिला मिरर-जुली रानी झाः उत्तर प्रदेश सं एक बेर फेर सं राष्ट्रीय स्तरक खिलाड़ीक उपेक्षित जीवनक खबरि आबि रहल अछि। इ कोनो पहिल बेर नहि थिक जे यूपी मे कोनो प्रतिभावाना खेलाड़ीक उपेक्षाक शिकार हेवाक घटना हो। पूर्व मे सेहो कतेको राष्ट्रीय-अंतरराष्ट्रीय स्तरक खेलाड़ी यूपीक संग-संग देशक अन्य-अन्य हिस्सा मे उपेक्षित एवं शोषित होइत रहला अछि।
    वर्तमान घटना उत्तर प्रदेश कानपुरक अछि जतय राष्ट्रीय स्तरक फुटबाॅल खेलाड़ी सपना झा उपेक्षित जीवन जिवाक लेल विवश छथि। यूपी दिस सं कतेको रास फुटबाॅल प्रतिस्पर्धा मे भाग लय चुकल सपना जुनियर स्तर पर यूपीक प्रतिधित्व देश तक मे कय चकल छथि मुदा स्थानीय सरकारक अनदेखीक कारणें सपना झा आई शुलभ सौचालय मे जीवन व्यतीत करवाक लेल विवश छथि। 
    पिताक बेमारी ओ घरक माली हालत सं तंग आबि चुकल सपना झा लग आओर कोनो दोसर चारा नहि देखवा मे आयल त ओ शुलभ मे रहवाक निर्णय लेलीह। एक राष्ट्रीय हिन्दी दैनिक अखबारक वेबसाइट पर प्रकाशित इ खबर आपना आप मे एकटा गंभीर विवाद ओ चिंतन कें जन्म दय रहल अछि। अहि खबैरक लेल जतेक दोषी राज्य सरकार अछि ओहि सं कनिको कम दोषी कानपुरक ओ तथाकथित मैथिल समाज नहि जे अपना आप कें यूपी ओ कानपुरक मे मिथिला, मैथिलीक नाम पर राजनीति कय रहला अछि। 
    मिथिला मिरर अहि खबैर कें गंभीरता सं लय यूपी सरकारक खेल एंव कला संस्कृति मंत्रालय तक अवश्ये उठायत आ यथा संभव सपना झाकें लेल न्याय दियेवाक कार्य करत।