विधानसभा चुनाव-2015 बेटा-बेटी कें लाॅन्च करवाक अखाड़ा

    0
    475

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहार विधानसभा चुनाव-2015 बहुत मायने मे अहम रहैवला अछि कारण राजनीतिक किछु घाघ पहिने चुनाव नहि लड़वाक साफ संकेत दय चुकल छथि जाहि मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी, बिहार प्रदेश कांग्रेस अध्यक्ष अशोक चैधरी सहित अन्य नेतागण त दोसर दिस इ चुनाव एकटा आओर मायने मे बहुत दिलचस्प देखय वला रहत। एक दिस परिणामक डर सं राजनीतिक दिग्गज चुनव लड़वा सं परहेज करैत नजैर आबि रहला अछि त दोसर दिस राजनीतिक घाघ लोकन्हि अपन नव पीढि़ बिहार सक्रिय राजनीति मे उतारवाक लेल व्यग्र सेहो देखना जा रहला अछि। 
    परिवारवादक जनक लालूक परिवारवाद त जग जाहिर अछि
    बिहार पूर्व मुख्यमंत्री आ राष्ट्रीय जनता दलक अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव अपन दुनू बेटा तेजप्रताप ओ तेजस्वी कें अहि विधानसभा मे लाॅन्च करवाक पूर्ण तैयारी क चुकल छथि। तेजप्रताप महुआ विधानसभा सीट सं त दोसर दिस तेजस्वी कें सोनपुर विधानसभा सीट सं चुनाव लड़ाओल जेबाक तैयारी अछि। ओमहर पाटलिपुत्र सीट सं चुनाव हारि चुकल लालू प्रसाद यादव बेटी मीसा भारती एक बेर फेर सं विधानसभा चुनाव मे अपन भाग्य आजमा सकैत छथि आ पार्टी हुनका राघोपुर विधानसभा सीट सं अपन उम्मीदवार बना सकैत अछि।
    ‘हम’क नेता आ रघुनाथ झा सेहो छथि जुगाड़ मे
    दोसर दिस लालू प्रसाद यादवक मित्र रहल आ पूर्व मंत्री नेरंद्र सिंह सेहो अपन दुनू बेटा कें अहि चुनाव मे लाॅन्च करवा ताक मे छथि। नरेंद्र सिंह अपन दुनू बेटा अजय सिंह ओ सुमित सिंहक लेल टिकटक जुगाड़ मे दिन राइत जुटल छथि। एतबे नहि बिहार पूर्व मुख्यमंत्री ओ हम कें अध्यक्ष जीतन राम मांझी सेहो अपन बेटा संतोष कें भारतीय जनता पार्टी सं चुनाव लड़ेवाक ताक मे छथि त जेडीयू पूर्व नेता आ मंत्री रहल वृषिण पटेल सेहो अपना भतीजा कें चुनाव लड़ेवाक जुगाड़ मे छथि। तहिना हालहिं आरजेडी छोडि़ सपाक संग गेनिहार रघुनाथ झा सेहो अपन बेटा अजीत कुमार झा कें अहि चुनाव मे प्रोजेक्ट करवाक लेल आतुर छथि। 
    भाजपाक खेमा मे सेहो अछि चहल-पहल
    भाजपाक सांसद जनार्दन सिंह सिग्रीवाल सेहो छपरा सीट सं टिकट लेल जोगाड़ मे छथि त शिवहर सं भाजपा सांसद रमादेवी सेहो अपन बेटी रागिनी गुप्ताक लेल टिकक लेल लाॅविंग करय मे लागल छथि। भाजपाक एकटा आओर सांसद छेदी पासवान सेहो अपन बेटा रविक लेल टिकट फिराक मे छैथ त भाजपाक राष्ट्रीय उपाध्यक्ष आ राज्यसभा सांसद डाॅ. सी. पी. ठाकुर सेहो अपन बेटा विवेक कें लेल टिकटक मांग कय रहला अछि। अहि क्रममे पूर्व सांसद सीताराम सिंह सेहो अपन पुत्र राणा रणधीर कें टिकट दियेवाक मांग कय रहला अछि।
    आब इ देखब दिलचस्प हैत कि अहि सूची मे सं कतेक नेता अपन विरासत कें चुनावी मैदान मे उतारवामे कामयाब होइत छथि आ कतेक कें बेटाक लेल अपन गरदैन नीचा करय पड़तनि ओ त समय बताओत।