रालोसपा जारी कयलक उम्मीदवारक प्रथम सूची,पीसी मे हंगामा

    0
    506

    दिल्ली,मिथिला मिरर-राहुल कुमार रायः-बिहार विधान सभा चुनाव 2015 के घोषणा के बाद आब टिकट बंटवारा के दौर चालु अछि जाहि क्रम मे एनडीए गठबंधन के अहम सहयोगी रालोसपा अपन दोसर लिस्ट मे कुल 17 प्रत्याशी के घोषणा सोमदिन जारी कय देलक। प्रेस काॅन्फे्रस मे उपेन्द्र कुशवाहा भाजपा पर अपन नाराजगी जाहिर करैत कहलनि जे हमरा मीनापुर सीट कय लय अन्हार मे रखल ताहि सं हमरालोकनि आहत छी। एहि बातक शिकायत हमरालोकनि भाजपाक राष्टीय अध्यक्ष अमित शाह सं करब। एतबे नहि पीसी के दौरान कुशवाहा नीतीश आ लालू पर जोरदार हमला करैत कहलनि जे ‘जाहिया सं नीतीश लालू संग सटल तहिया पुनः जंगलराज आरंभ भय गेल अछि। रालोसपाक 17 उम्मीदवारक सूची निम्न प्रकारेण अछि

    चेनारी – ललन पासवान
    कुर्था- अशोक वर्मा
    जहानाबाद- प्रवीण कुमार
    वाल्मीकिनगर – सुरेंद्र सिंह
    बिसफी- मनोज यादव
    हरलाखी- बसंत कुशवाहा
    उजियारपुर- वैद्यनाथ प्रसाद महतो
    बायसी – अजीउरहमान
    नवादा- इंद्रदेव कुशवाहा
    महिषी- चंदन साह
    डुमरांव- रामबिहारी सिंह
    धमदाहा- शंकर झा आजाद
    जगदीशपुर- संजय मेहता
    घोरैया- भूदेव चौधरी
    सुल्तानगंज- हिमांशु पटेल
    बरबीघा- शिव कुमार शर्मा

    नरकटिया- संत सिंह कुशवाहा

    पीसी के दौरान टिकट नहि भेटला सं आहत कार्यकर्ता कानल बपहारि काटि आ कयलक हंगामा। ओहि व्यक्ति के कहब छल जे हम पार्टी के स्थापना सं लय के एखन धरि तन-मन-धन सं सहयोग करैत रहलौ मुदा हमर सहयोग के नजरअंदाज कय टिकट काटि अपन रिश्तेदार के द देलक।