मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा सम्मानित भेलथि डाॅ. शेखर झा

    0
    565

    दिल्ली, मिथिला मिरर-अमित आनंदः 8 अगस्त 2015 शुक्रदिन दिल्लीक मंडी हाउस स्थित श्रीराम सेंटर मे बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के द्वारा बिहार फांउडेशन के शुभारंभ कायल गेल जेकर मूल उद्देश बिहार के विकासक कार्य मे योगदान देनिहार व्यक्ति वा मूलभूत सेवा मे अहम योगदान देनिहार व्यक्ति के सम्मानित केनाई। एहिक्रम मे लगभग 24 टा सेवा योगदान देनिहार व्यक्ति के सम्मानित कायल गेल जाहिमे आई.ए.एस मंथन एकेडमी, के निदेशक  आ मैथिली के शिक्षक डाॅ. पूर्णेंदु शेखर झा के मैथिली भाषा के माध्यम सं शिक्षाक क्षेत्र मे अहम योगदान देबाक लेल बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा सम्मानित कायल गेल। अपनेक बतादि जे एहिबेर यूपीएससी परीक्षा परिणाम मे बिहार सं कुल 83 गोट छात्र-छात्रा के सफलता भेटलनि जाहिमे 15टा ओ छात्र जे मैथिली के एच्छिक विषय के रूप मे राखि सफलता प्राप्त कयलनि ओ 15 के 15 छात्र हिनके एकेडमी सं छलनि।
     
    शेखर जी के लागातार मेहनत आ लगन आ आधुनिक तकनीक के कारण आइ धरि लगभग 4-5 दर्जन छात्र के सफलता भेटलनि अहि। झा मिथिलाक पूर्णियां जिलाक अन्तर्गत धमदाहा गामक निवासी छैथ। बिहार सरकार द्वारा एहि तरहक सम्मान निश्चित रूपहिं मैथिली विषय मे शिक्षा देनिहार शिक्षक वा अन्य कार्य मे योगदान देनिहार व्यक्ति लोकनिक लेल संजिवनी के काज करत। एहि कार्यक्रम मे बिहार के खाद्य आपूर्ति मंत्री श्याम रजक, योजना परिषदक सदस्य संजय झा सहित अन्य गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलाह।