मिथिलाक राजनीति मे ओवैसी, मुस्लिम तुष्टिकरणक राजनीति गरम

    0
    492

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहारक राजनीति मे एकटा नव आन्हर आबि गेल अछि। बिहारक मिथिला क्षेत्रक चारि गोट जिला पूर्णिया, कटिहार, अररिया ओ किशनगंज मे ‘एआईएमआईएम’ चुनाव लड़वाक घोषणा कैलनि अछि। एआईएमआईएम कें राष्ट्रीय अध्यक्ष असदुद्दीन ओवैसी द्वारा मिथिल क्षेत्र मे चुनाव लड़वाक बात स्पष्ट करवाक बाद सं बिहारक राजनीति आओर बेसी गर्म भय गेल अछि।
    ओवैसी कें निर्णय सं कांग्रेस, जनता दल युनाइटेड ओ राष्ट्रीय जनता दल मे बेस खलबली मचल छैक त दोसर दिस बीजेपी मोनहि मोन प्रसन्न भय रहल अछि जे जाहि पूर्वी मिथिला मे ओवैसी चुनाव लड़य जा रहला अछि ओ क्षेत्र कें मुस्लिम बाहुल्य क्षेत्र मानल जाइत छैक आ अहि क्षेत्र मे मुस्लिम वोटक तुष्टिकरण करवाक लेल समस्त राजनीतिक दल कोनो कसैर नहि छोड़ैत अछि।
    असदुद्दीन ओवैसी मिथिलाक पूर्णिया, कटिहार, अररिया ओ किशनगंज अपन उम्मीदवार उतारय जा रहला अछि। अपने कें बता दी कि मिथिलाक अहि चारि गोट जिलाक कुल आबादी 1 करोड़ सं बेसी छैक आ अहि कुल आबादीक 40 प्रतिशत जनसंख्या मुस्लिम वोटरक छैक। जौं किशनगंज कें देखि त ओकर जनसंख्याक 70 प्रतिशत आबादी मुस्लिम अछि। 
    हालांकि बीजेपी नेता शहनवाज हुसैन कहैत छथि जे मिथिलाक अहि क्षेत्र मे बीजेपीक बढि़या पकड़ अछि आ हमरा सब ओवैसी कें टक्कर दैत हुनका अहिठाम सं भगायब। आब इ देखब दिलचस्प हैत कि मुस्लिम तुष्टिकरण अहि राजनीति मे मिथिला ओ बिहार कोन-कोन नव गाथा लिखैत अछि, अहि कें लेल किछु प्रतीक्षा अवश्ये करय पड़त।