मणिपुर मे बिहारी छात्रक संग माइर पीट पर ‘ पप्पू’क विरोध प्रदर्शन

    0
    537

    दिल्ली-मिथिला मिररः मणिपुर के नेशनल इंस्टीट्यूट आॅफ टेक्नोलाॅजी मे बिहार सं गेल छात्र पर भेल हमला बाद आब इ मामला तूल पकड़ैत नजैर आबि रहल अछि। मणिपुर मे बिहारी छात्र पर भय रहल हमला आ माइर पीट कें मुद्दा कें लय सांसद पप्पू यादव आ हुनकर जन अधिकार मोर्चाक कार्यकर्ता मोर्चा खोली देलनि अछि। अहिक्रम मे सांसद पप्पू यादव पटनाक राजेंद्र नगर टर्मिनल पर अपन समर्थकक रेल रोको अधियान मे शामिल भय विरोध प्रदर्शन कें आओर बेसी मजगूती प्रदान कैलनि। 
    पूर्णिया सं सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव मणिपुर मे हिन्दी भाषी छात्रक संग भय रहल बर्बताक लेल राज्य ओ केंद्र दुनू सरकार पर अपन भड़ास निकालनि। सांसदक कहब छलनि जे अहि मुद्दा पर जा धरि केंद्र ओ राज्य सरकार कोनो ठोस डेग नहि उठाओत ता धरि हमरा सबहक प्रदर्शन जारी रहत। अपने कें बता दी कि पैछला 28 अगस्त क नेशनल इंस्टीट्यूट आॅफ टेक्नोलाॅजी मे बिहारी छात्र कें पीटल गेल छल जाहि मे 8 गोट छात्र घायल भय छल। 
    28 अगस्त शुक्रदिनक सांझ जखन एनआईटीक कैंपस बाहर बिहारी छात्र नाश्ता करवाक लेल गेल छल तखन अचानक किछु अज्ञात लोक आबि ओहि छात्र पर हमला कय देलक। जाहि कें बाद सं बिहारी सहित समस्त हिन्दी भाषी छात्र एनआईटी मणिपुर मे सहमल सन जीवन व्यतीत करवाक लेल विवश अछि। जन अधिकार मोर्चाक अहि विरोध प्रदर्शन असैर मिथिला मे सेहो देखल गेल। कार्यकर्ता लोकनि समस्तीपुर-मुजफ्फरपुर, समस्तीपुर-दरभंगा रेल खंड पर ट्रेन रोकि प्रदर्शन केलाह त दोसर दिस कोलकाता-जयनगर एक्सप्रेस ट्रेन कें सेहो प्रदर्शनकारी लोकनि रोकि कय रखलनि।