‘भारत जलाओ पार्टी’ अछि बीजेपी- लालू प्रसाद यादव

    0
    441

    दिल्ली,मिथिला मिरर-राहुल कुमार रायः प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी द्वारा बिहारक तीन गोट मंच सं एक कें बाद एक आरजेडी प्रमुख लालू प्रसाद यादव पर कैल गेल हमला सं तिलमिलायल लालू प्रसाद यादव कहला जे भारतीय जनता पार्टीक डीएनमे झूठ अछि आ इ पार्टी सदिखन झूठक खेती करैत रहैत अछि।
    लालू यादव कहला जे प्रधानमंत्री मोदी लोकसभा चुनावमे देशक जनता सं कैल वादा सं मुकडि़ गेलथि अछि आ देशक जनता अहि झूठ कें बहुत नीक जेना जानि चुकल अछि। देशक जनता कें जे जोरगार देवाक बात कहल गेल छल ओकर कि भेलैक? प्रधानमंत्री जे काला धन वापिस लेवाक बात कहने छलैथ ओकर कि हाल-चाल छैक? कतय छै ओ 15-15 लाख टकाक जुमला ?
    बकौल लालू देशक जनता एक बेर उल्लू बनि चुकल अछि आ बेर-बेर नहि बनत। राजद प्रमुख कहला जे प्रधानमंत्री लोक सभा चुनाव मे बिहारी जनात सं ‘अच्छे दिन’ के नारा देने छलैथ जौं अहिकें बारे में प्रधानमंत्री जनता लग बजितैथ त जनता कें किछु विश्वास होइत मुदा हिनका लोकनिक मोने कारी अछि त ओकर परिणाम सेहो कारीये रहत।