बीजेपीक तेसर सूची जारी, 11 गोट उम्मीदवारक जारी भेल नाम

    0
    495

    दिल्ली-मिथिला मिररः भारतीय जनता पार्टी 11गोट उम्मीदवारक अपन तेसर सूची जारी कय देलक। भारतीय जनता पार्टीक चुनाव समितिक सदस्य ओ केंद्रीय स्वास्थ मंत्री ओ बिहार बीजेपीक चुनाव प्रभारी भूपेंद्र यादव संयुक्त संवाददाता सम्मेलन कय अहि उम्मीदवारक नामक घोषणा कैलनि। तीन सूची मे बीजेपी एखन तक 153 गोट उम्मीदवारक नाम सार्वजनिक कय देलक अछि। बांकिक 7 गोट सीट पर सेहो जल्दिये उम्मीदवारक नाम जारी कय देल जायत। 
    विधानसभा क्षेत्र ओ उम्मीदवारक नाम
    मोहिनुद्दीनगर- सत्येंद्र सिंह
    गोविंदपुर- फूला देवी यादव
    नालंदा- कौशलेंद्र कुमार
    मीनापुर- अजय कुशवाहा
    कुर्हनी- केदार यादव
    फुलपरास- राम सुंदर यादव
    बहादुरगंज- अवध बिहारी सिंह
    कोचाधामन- अब्दुर रहमान
    रूपौली- परमानंद मंडल
    अमरपुर- मृणाल शेखर
    इस्लामपुर- बिरेंद्र गोप