बिहार विधानसभा चुनाव में शिवसेनाक सेंध

    0
    423

    दिल्ली,मिथिला मिरर-ब्रजेन्द्र नाथ झाः महाराष्ट्र में एखन धरि शिवसेना बिहार और पूर्वांचलीक विरोध के ईर्द-गिर्द राजनीति करैत रहल अछि, बावजूद शिवसेनाक ध्यान बिहार विधानसभा चुनाव पर गड़ल अछि। शिवसेना बिहार विधानसभा चुनाव में अकेले चुनाव लड़बाक ऐलान केलक अछि। 
    शिवसेना प्रवक्ता संजय राउत के कहब छन्हि जे शिवसेना के युवा नेता आदित्य ठाकरे बिहार में अपन संगठन मजबूत करय चाहैत छथि। बिहार में पार्टी कार्यकर्ता के जोर पर शिवसेना प्रदेश भरि में असगर चुनाव लड़बाक मोन बनौलक अछि। 
    बीजेपी संग चुनाव लड़बाक सवाल पर शिवसेना के कहब छै बिहार में बीजेपी के संग बड़का-बड़का पार्टी छैक तैं बीजेपी के संग चुनाव लड़बाक कोनो सवाले नहिं अछि।