दरभंगाक सब विधायकक आपराधिक छवि पर मिथिला मिररक पड़ताल

    0
    525

    दिल्ली,मिथिला मिरर-अभिषेक मिश्रः मिथिला मिररक विशेष चुनावी कार्यक्रम मे मधुबनी जिलाक समस्त विधायकक आपराधिक इतिहास खंगाललाक बाद आब दरिभंगा जिलाक विधायकक आपराधिक छविक विषय मे मिथिला मिरर पड़ताल देखल जाउ। इ आंकड़ा विधानसभा चुनाव 2010 मे उम्मीदवार द्वारा स्वयं चुनाव आयोग लग देल गेल शपथपत्रक आधार पर अछि। जौं अहि खबैर सं किनको कोनो प्रकारक संदेह हो त मिथिला मिरर ओहि शपथपत्रक काॅपी उपल्बध कराओत।
    अलीनगर,आरजेडी-अब्दुल बारी सिद्दीकीः राष्ट्रीय जनता दलक विरिष्ठ नेता अब्दुल बारी सिद्दीकी पर कोनो आपराधिक मुकदमा दर्ज नहि छन्हि। 
    बहादुरपुर,जेडीयू-मदन शहनीः हिनका पर कोनो आपराधिक मुकदमा दर्ज नहि छन्हि।
    बेनीपुर,बीजेपी-गोपाल जी ठाकुरः गोपाल जी ठाकुर पर कोनो आपराधिक मोकदमा दर्ज नहि छन्हि।
    दरभंगा शहरी,बीजेपी-संजय सरावगीः हिनका पर कोनो आपराधिक मुकदमा दर्ज नहि छन्हि।
    दरभंगा ग्रामीण,आरजेडी-ललित कुमार यादवः हिनका पर कोनो तरहक न्यायाकि मामला नहि दर्ज छन्हि।
    गौड़ा बौराम,जेडीयू-इज़हार अहमदः विधायक इज़हार अहमद पर भारतीय दंड संहिताक विभिन्न धारा मे मे 4 गोट केस दर्ज छन्हि। संप्रदायिक सौहार्द बिगाड़वाक लेल 147, 148 आओर 149 कें अलावे हिनका पर 171इ, 171एफ, 188, 307 आओर 427 कें तहत मुकदमा दर्ज छन्हि। विधायक पर आम्र्स एक्टक तहत कोनो मुकदमा दर्ज नहि भेल छन्हि। 
    हायाघाट,बीजेपी-अमरनाथ गामीः हिनका पर कोनो तरहक आपराधिक मुकदमा दर्ज नहि छन्हि।
    जाले,जेडीयू-ऋषि मिश्रः हिनका पर कोनो तरहक आपराधिक मुकदमा दर्ज नहि छन्हि।
    केवटी,बीजेपी-अशोक यादवः हिनका पर कोनो तरहक आपराधिक मुकदमा दर्ज नहि छन्हि। 
    कुशेश्वर स्थान,बीजेपी-शशि भूषण हजारीः हिनका पर भारतीय दंड संहिताक विभिन्न धाराक अंतगर्त 3 गोट मुकदमा दर्ज छन्हि जाहि मे अवैध तरीक सं हथियार रखवाक धारा सेहो लागल छन्हि। हजारी पर धारा 147, 148, आ 149 कें अलावे 323, 341, 380, 427 आ 458 कें तहत मामला दर्ज छन्हि।