झंझारपुर विधानसभा मे दू गोट युवामे राजनीतिक धर्मयुद्ध

    0
    457

    दिल्ली-मिथिला मिररः झंझारपुर विधानसभा बिहारक राजनीति मे एकटा अलग आ महत्वपूर्ण स्थान राखैत आयल अछि। अहि सीट सं बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्र पांच बेर प्रतिनिधित्व क चुकल छैथ त हुनकर पुत्र आ बिहारक पूर्व मंत्री नीतीश मिश्र सेहो अहि सीट सं तीन बेर प्रतिनिधत्व क चुकल छैथ आ चारिम बेरक लेल हिन्दुस्तान अवामी मोर्चा ‘हम’क प्रतिनिधि बनि अहि सीट सं चुनाव लड़वाक तैयारी मे छथि।
    झंझारपुर विधानसभा शुरू सं हाईप्रोफाइल विधानसभा मे सं एक रहल अछि मुदा जौं अपने सब इ अंदाजा लगावैत हैब जे इ विधानसभा कार्यक दृष्टि सं बिहारक चुनिंदा विधानसभा मे सं एक हैत त अपने लोकनिक इ सोच बिल्कुल गलत हैत कारण इहो विधानसभाक स्थिति ओहने छैक जेहन स्थिति बिहारक आन विधानसभाक छैक। बिहारक लेल विधानसभा चुनाव-2015 बहुत बेसी राजनीकि उठाफटक बला अछि।
    झंझारपुर विधानसभाक जनताक लेल अहि बेर बहुत बेसी उहापोहक स्थिति अछि। एक दिस हम नेता आ बिहारक पूर्व मंत्री नीतीश मिश्र चुनाव मैदान मे छथि त दोसर दिस हुनका रैयाम निवासी समाजसेवी आ शिक्षाविद आ बीजेपी नेता डाॅ. सुनील झा सेहो चुनाव लड़वाक लेल पूर्ण तैयारी मे छथि। एक दिस नीतीश मिश्र झंझारपुर विधानसभा कें अपन विरासत बुझि रहल छैथ त दोसर दिस बीजेपी नेता आ युवा चेहरा डाॅ. सुनील झा हुनका जबरदस्त टक्कर देवाक लेल तैयार छथि।
    मिथिला मिरर’क संपादक ललित नारायण झा जखन सुनील झा सं झंझारपुर विधानसभा सं चुनाव लड़वाक संबंध मे बातचीत केलाह त हुनकर कहब छलनि जे हम मोन बना लेने छी जे चुनाव झंझारपुरे सं लड़ब। सुनील झा’क कहब छन्हि जे हम नेता बनवाक लेल चुनाव नहि लडि़ रहल छी हमर एकटा संक्ल्प अछि जे मधुबनीक 399 गोट पंचायत कें कृषिक क्षेत्र मे आत्मनिर्भर बनाअेल जाय आ ओहि दिशा मे काज कैल जाए।
    सुनील झा कहला जे अगर भारतीय जनता पार्टी हमरा टिकट नहि देत तइयो हम स्वतंत्र रूपे झंझारपुर विधानसभा मात्र सं चुनाव लड़ब आ ओहिठामक जनताकें मूलभूत समस्या कें उठबैत रहब। बकौल सुनील झा ओ झंझारपुरक समस्त पंचायतक गामे-गाम जा कय लोकक संपर्क मे छी आ एकेटा नारा पर कार्य क रहल छी जे झंझारपुर विधानसभा कें वंश वादक मकर जाल सं त्राण दिआऊ।
    आब इ देखब रोचक हैत जे झंझारपुर विधानसभा मे नीतीश मिश्र जे कि ओकरा अपन विरासत मानैत आबि रहल छथि एहन मे हुनका एकटा स्थानीय युवा सं भेंट रहल टक्कर हुनकर विरासत कें ध्वस्त क देत आ कि नीतीश आ सुनील लड़ाई मे मैदान कियो आओर मारि कय लय जायत अहि बातक परिणाम देखवा लेल किछु आओर समय इंतजार करय पड़त। ता बनल रहु मिथिला मिररक संग आ देखैत रहु चुनाव विशेष।