जेपी-लोहियाक विचार कें तिलांजलि देलाह लालू-नीतीश-प्रधानमंत्री

    0
    534

    भागलपुर,मिथिला मिरर-राकेश कुमार सिंहः बिहार मे राजनीतिक पारा सातम आसमान पर चढि़ कय संपूर्ण बिहारी मतदाता कें धिपा रहल अछि। मंगलदिन अपन अंतिम परिवर्तन यात्रा कें संबोधित करैत मिथिला/बिहारक भागलपुर मे प्रधानमंत्री मोदी एक-एक कय अपन विरोधी पर निशाना सधलाह। प्रधानमंत्री मोदी कहलनि जे दू दिन पहिने पटनाक गांधी मैदान मे जयप्रकाश नारायण आ डाॅक्टर राम मनोहर लोहियाक विचार कें हुनके द्वारा पोषित लालू प्रसाद यादव ओ नीतीश कुमार तिलांजलि दय देलनि।
    विरोधी पर तंज कसैत प्रधानमंत्री कहला जे दू दिन पूर्व पटनाक गांधी मैदान मे एक सं एक लोक मंचाशीन छलाह आ हमरा भेल जे ओ सब बिाहरक भविष्यक विषय मे किछु सार्थक बात करताह मुदा ओहि रैली मे बिहारक विकासक विषय मे कोनो ठोस बात नहि कैल गेल। हां रैली मे बस मोदी-मोदी होइत रहल आ केंद्र सरकार द्वारा बिहारक लेल देल गेल 1 लाख 25 हजार करोड़ जे कुल मिलाकय 1 लाख 65 हजार करोड़ भय गेल छल ओकर जैम कय मखौल उड़ायल गेल जेकरा बिहारक जनता हजम नहि केलक आ ओ लालू-नीतीशक द्वारा कैल जा रहल भ्रामक प्रचार कें नीक जेना बुझि गेल।
    प्रधानमंत्री मोदी कहलनि जे अगिला पांच बरख मे बिहार कें केंद्र सरकार द्वारा 3 लाख 74 हजार करोड़ टकाक सहायता राशि देल जायत मुदा बिहार जे कमर्ठ सत्तारूढ़ नेता छथि ओ सब 2 लाख 70 हजार करोड़ टका खर्च करवाक बात कहि रहला अछि। आब कहु जे बांकिकें 1 लाख 6 हजार करोड़ टका कतय जेतैक? कि ओ सब बिहारक जनता कें आंखि मे छाउर नहि छीट रहला अछि। बकौल मोदी बिहार सरकार सलाना बजट करीब 50-50 हजार करोड़ टकाक होइत अदि मुदा जौं एकरा पांच साल मे जोडि़ कय देखल जाय त ओतेक पैकेज केंद्र सरकार बिहार कें देवाक घोषणा कय चुकल आ आ क रहल अछि।
    प्रधानमंत्री द्वारा रैली मे कहल गेल किछु महत्वपूर्ण बातः-
    बिहार सरकर लग टकाक अभाव नहि छैक, केंद्र सरका जे बिहार सरकार कें पैकेज देलक ओहिमे सं 521 करोड़ टका खर्च नहि कैल गेल।
    नेपाल मे भूकंप आयल जाहि सं बिहार कें बहुत बेसी नुकशान भय सकैत छल ओहि स्थिति मे हम पहिल व्यक्ति रहि जे मुख्यमंत्री कें फोन कय हालचाल पुछलौह।
    हम गर्व सं कहि सकैत छी जे केंद्र सरकार कोसीक तबाही सं बिहार कें बचेवा मे सफल रहल। अगर सरकार पहिने सं नहि जागल रहैत त बिहार डूबी जाइत।
    एकरा दुर्भाग्य कहु जे जाहि व्यक्ति लोकनि कें 25 सालक हिसाब देवाक चाहि छल ओ ओहि विषय मे त किछु नहि बाजि रहल अछि। बिजली कियैक नहि आयल ताहि पर कोनो बात नहि मुदा मोदी सं हिसाब चाहि।
    हम लोकसभा चुनाव मे कहि क गेल रहि आ अखनो कहैत छी जे पांच साल बाद जखन फेर सं वोट मांगय आयब त पाई-पाई आ पल-पल कें हिसाब देब।
    बिहारक 25 सालक जे युवा वर्ग अछि ओ आई इ सवाल कय रहल अछि जे आखिर ओकरा रोजगारक लेल बिहार सं बाहर कियैक जाय पडि़ रहल छैक?
    बिहारक मतदाता पर पूर्ण विश्वास देखवैत प्रधानमंत्री कहलनि जे आब बिहारक जनता जाहि विजय रथ कें अगुवाई करय जा रहल अछि जे ओ भय मुक्त आ भ्रष्टाचार मुक्त बिहार बनेवाक लेल पूर्ण रूप सं आगु आयत।