महिला कॉलेजक प्रिंसिपल के गाड़ी पर खसल गाछ आ बिजलीक तार, बाल-बाल बचलीह प्रिंसिपल

    0
    330

    हाजीपुर, मिथिला मिरर: गंगा ब्रिज थाना क्षेत्र मे एकटा दुर्घटनाक मामला प्रकाश आयल अछि।बताओल जा रहल अछि जे, हाजीपुर वीमेन्स कॉलेजक प्रिंसिपल मीरा सिंह अहि दुर्घटना मे बाल-बाल बचि गेलीह।

    टोल प्लाजाक समीप पुलिस द्वारा गाछ कटबाक  दौरान गाछ प्रिंसिपल के गाड़ी पर खसि पड़ल। जाहि सं गाड़ी दुर्घटनाग्रस्त भय गेल। आश्चर्यक बात त ई अछि जे, बिजलीक तार सेहो गाड़ी के समीप खसल। मुदा प्रिंसिपल के कोनो शारीरिक नुक्सान नहि भेल। घटनाक समय प्रिंसिपल के संग कॉलेजक तीन गोट टीचर सेहो मौजूद छलीह।