वाहन लूटय वला इंजीनियर समेत पांच गोट लुटेरा गिरफ्तार

    0
    271

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: विशेष पुलिस टीम जिलामे लगातार भए रहल रुपैया आ वाहन लूटक घटनाकें अंजाम देबए वला अंतरराज्यीय गिरोहक पर्दाफाश केलक अछि। गिरोहक मुख्य सरगना झारखंडकें जमशेदपुरक इंजीनियर मो. रमीज राजा खान निकलल। ओकरा संग चारि टा और अपराधीकें गिरफ्तार कएल गेल अछि।

    पूछताछमे समस्तीपुरक पटोरी स्थित एकटा सिनेमा हॉलक समीप सं गत सप्ताह गोबरसही लदौरा इलाका सं लूटल गेल स्कॉर्पियो आ मनियारीमे लूटल आइटेन कार बरामद केलक अछि। अहिंके अलावा दू कट्टा, चौदह गोली, दस टा मोबाइल सेट, लूटल गेल पांच टा एटीएम कार्ड, प्रवीण कुमारक वोटर आइडी समेत बहुतो कागजात भेटलछइ।

    गिरफ्तार अपराधिक पहचान जमशेदपुरके मो. रमीज राजा खान, साहेबगंजके मो. मेराज उर्फ अजय, समस्तीपुर विभूतिपुरके धर्मेद्र कुमार दास, पटोरीके विपिन कुमार आ वैशालीके लुढ़की उर्फ शत्रुघ्न चौधरीकें रूपमे कएल गेल अछि।