मधुबनी, मिथिला मिरर: बासोपट्टी थाना क्षेत्रक अरघावा गाममे शौच करबाक लेल गेल एकटा विधवाक संग दुष्कर्मक प्रयासकें मामला प्रकाशमे आएल अछि। अहि संबंधमे विधवा महिला स्थानीय थानामे एकटा आवेदन दय मामला दर्ज करेलक अछि। दर्ज प्राथमीकीमे कहल गेल अछि जे, बृहस्पति दिन गांवक धीरेन्द्र ठाकुर, राहुल ठाकुर, प्रदीप ठाकुर आ अंकुश ठाकुर एक संग मिलिकय कलम दिस शौच करबाक लेल गेल विधवा महिलाक संग दुष्कर्म करबाक प्रयास केलक। विरोध केला पर महिलाक संग मारिपीट आ बदसलूकी कएल गेल।
हल्ला करैत महिला जहन घर पहुंचल त पाछु सं आरोपी सेहो आबि गेल। घर पर किछु लड़का द्वारा विरोध करबा पर आरोपी कुरहड़ि सं गंभीर रूपे जख्मी कय देलक। अहि संबंधमे बासोपट्टी थानाध्यक्ष प्रेम कुमार भारती कहलनि जे, मामलाक जांच कएल जा रहल अछि।


