ट्रेनिंग के बाद तैनातीक लेल बिहार आबि रहल सीआरपीएफ के 59 जवान लापता

    0
    314

    पटना, मिथिला मिरर: सोमदिन केंद्रीय अर्धसैनिक बल सीआरपीएफ सं जुड़ल एकटा चौंका दय वला खबरि प्रकाश मे आयल अछि। केंद्रीय रिजर्व पुलिस बलक 59 गोट जवान अप्पन सीनियर अधिकारी के बिना बतेने घर चलि गेल। अहि खबरि के बाद सीआरपीएफ मे हड़कंप मचल अछि। अहि मे सब जवान ट्रेनी छल आ सब के पहिल पोस्टिंग छल।

    सीआरपीएफ के अहि जवान के श्रीनगर सं 6 महीनाक ट्रेंनिग के बाद गया मे 205 कोबरा बटालियन मे तैनात हेबाक छल। श्रीनगर मे 29 जनवरी कय अहि जवानक ट्रेनिंग समाप्त भेल छल। ई जवान जम्मू स गयाक लेल सियालदह एक्सप्रेस मे बैसल छल। गाड़ी जहन मुग़लसराय पहुंचल त 59 जवान बिना सीनियर अधिकारी के बतेने सीधे घर चलि गेल।

    सीआरपीएफ अहि मामला के काफी गंभीरता स लेलक अछि। पूरा मामलाक जांच कायल जा रहल अछि। प्राप्त जानकारीक अनुसार ई जवान मुगलसराय के आसपासक इलाका के रहय वला छल। जवानक तत्काल प्रभाव स वापस बजाओल गेल।

    गौरलतब अछि जे, सीआरपीएफ के तैनाती देशक भीतर अलग-अलग जगह पर होईत अछि। नक्सली समस्या सं निपटबाक लेल सेहो अर्धसैनिक बलक जवान अहम भूमिका निमाहैत अछि।