आब परीक्षा भवनमे आयोजित होएत सब परीक्षा : कुलपति

    0
    387

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: नवनिर्मित परीक्षा भवनक शुक्रदिन कुलपति डॉ. विद्याधर मिश्र निरीक्षण केलनि आ सब परीक्षाक आयोजन अहि नवनिर्मित परीक्षा भवनमे करबाक निर्देश देलनि।

    ज्ञात हो कि अहि भवनक उद्घाटन कुलाधिपति पहिने कए चुकल छथि। परीक्षा नियंत्रक डॉ. शैलेन्द्र मोहन झाकें अहि आशयकें संचिका उपस्थापित करबाक निर्देश देल गेल। उक्त जानकारी पीआरओ निशिकांत द्वारा देल गेल।