सात सूत्री मांगक लेल बिहार चिकित्सा एवं जन स्वास्थ्य संघ शुरू केलक अनिश्चितकालीन धरना

    0
    314

    मधुबनी, मिथिला मिरर: सात सूत्री मांगक समर्थन मे बिहार चिकित्सा एवं जन स्वास्थ्य संघ के बैनर तअर अंधराठाढ़ी शाखाक सदस्य सोमदिन रेफरल अस्पताल परिसर मे अनिश्चितकालीन धरना प्रदर्शन शुरू केलक। कर्मिय’क लंबित वेतन भुगतान, वेतन मे नाजायज़ ढंग स कटौती बंद केनाय, आवंटन उपलब्ध रहला पर ससमय वेतन भुगतान, सरकारी आवास देने बिना किराया भत्ता नहि लेनाय, आदि प्रमुख मांग अछि।

    किशोर झा के नेतृत्व मे शुरू भेल धरना पर बैसल प्रखंड मंत्री किशोर प्रसाद यादव, कोषाध्यक्ष प्रतिमा कुमारी, प्रखंड मंत्री आशा गीता देवी, प्रखंड मंत्री ममता मुनेर देवी, जिला प्रतिनिधि धर्मेन्द्र राम आ जिला मंत्री प्रीती नारायण दास, खेलन झा आदि प्रमुख मौजूद छलाह।