गांधी सेतु सं प्रेमी युगल लगौलक छलांग, मौतक आशंका

    0
    265

    पटना, मिथिला मिरर: शनिदिन भोर मे महात्मा गांधी सेतु सं प्रेमी युगल छलांग लगा देलक। प्रेमी युगल के एखन धरि कोनो पता नहि चलल अछि, आ शंका जताओल जा रहल अछि जे, दूनूक मौत भय गेल। छलांग लगाबैत देखि लोक सब घटनाक सूचना पुलिस के देलक, जाहि के बाद पुलिस मामलाक पड़ताल कय रहल अछि।

    सूत्रक अनुसार गंगा ब्रिज थाना के पाया नम्बर 35 के समीप मोटरसाइकिल पर सवार भय प्रेमी जोड़ा पहुंचल, ओतय ब्रिज सं छलांग लगा देलक। एनडीआरएफ आ गोताखोर के लहास बरामद करबाक लेल बजाओल गेल मुदा दूनूक किछु पता नहि चलल अछि।