नेपाली नागरिक केलक एसएसबी जवान पर हमला, एकटा जवान घायल

    0
    365

    मधुबनी, मिथिला मिरर: भारत-नेपाल सीमा पर अवैध रूप स नेपाली नागरिकक यात्रा पर रोक लगाबय पर एसएसबी के जवान पर रोड़ेबाजी करबाक मामला प्रकाश मे आयल अछि। बताओल जा रहल अछि जे, भारत-नेपाल सीमा पर मधवापुर आ मटिहानी बाजार मे प्रतिबंधित वस्तु के नेपाल लय जेबा सं रोकला पर तमसायल नेपाली नागरिक एसएसबी जबान पर रोड़ेबाजी शुरू कय देलक। सूत्रक अनुसार स्थिति पर काबू नहि पेलाक बाद जवान सेहो लाठीचार्ज केलनि। जाहि सं माहौल काफी तनावपूर्ण भय गेल।

    ज्ञात हो कि घटनाक्रम मे एसएसबी के एकटा जवान गंभीर रूप स घायल भय गेल अछि। जवान के उपचारक लेल स्थानीय पीएचसी मे भर्ती करोल गेल अछि। उम्हर एसएसबी इंचार्ज हरिवंश लाल कहलनि जे, फ़िलहाल दूनू देशक सीमांचल पदाधिकारी मामला पर काबू पाबि लेलक अछि।