पशुपालक आ किसान केलक प्रखंड कार्यालय पर धरना प्रदर्शन

    0
    295

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: पशुपालक व किसान मिलि कय पटोरी प्रखंड कार्यालय परिसर मे एक दिवसीय उपवास कय धरना पर बैसलाह। अहि कार्यक्रम मे पटोरी तथा अहि के आस-पासक क्षेत्रक किसान व पशुपालक बढ़ि-चढ़ि कय हिस्सा लेलनि। कार्यक्रम मे दूध उत्पादन स जुड़ल लोकक समस्या के उठाओल गेल तथा मांग कायल गेल जे, पशुपालक किसानक समस्याक समाधान करबाक लेल सिघ्र आवश्यक कदम उठाओल जाए।

    किसान तथा पशुपालकक समस्या के प्रति केंद्र व राज्य सरकारक उपेक्षापूर्ण रवैया के आरोप लगबैत सरकार के आलोचना कायल गेल। डॉ. भूपेन्द्र प्रसाद यादव के संचालन मे आयोजित अहि कार्यक्रम मे सरकार स मांग कायल गेल जे, पशु आहार व आवश्यक दवाई के अनुदानित दर पर उपलब्ध कराओल जाए। कार्यक्रमक अध्यक्षता प्रखंड अध्यक्ष धनंजय कुमार राय केलनि।

    संगहि कृषि काज के मनरेगा के तहत अनबाक योजना बनाओल जाए, गाय पर अनुदान लेबय वला लोकक भौतिक सत्यापन अविलंब करेबाक व्यवस्था हो। दूधक गुणवत्ता के मानकक अनुसार दूधक मूल्य के निर्धारण कायल जाए तथा अनुमंडल स्तरीय पशु चिकित्सालय मे आवश्यक दवाई पर्याप्त मात्रा मे उपलब्ध हो।