स्टार्टअप सभक लेल बिहार मे विशेष अवसर, बिहार उद्यमिता सम्मेलन २१-२२ मार्च कें

    0
    439

    पटना,मिथिला मिरर-बालमुकुंद पाठकः विगत दशक भरि सं देश मे ऑनलाइन बिजनेसक क्रान्ति सं शाइते कोनो गोटें परिचित नहि होयब आ से सभटा भ’ रहलैक अछि स्टार्टअप सभक मादे. चाहे ओ ऑनलाइन शॉपिंग हो वा फेर बिल पेमेंट अथवा मोबाइल वॉलेट, सभटा जीवनोपयोगी वस्तु-जात एही स्टार्टअप सभक बले क्लिक भरि मे हमरालोकनि उपलब्ध क’ पाबि रहल छी.
    बीतल बर्ख, अपना लोकनिक राज्य बिहार मे सेहो एही मादे स्टार्टअप सभक लेल ५०० करोड़ टाकाक फंड एवं २०० करोड़क स्टार्टअप पालिसीक घोषणा बिहार सरकार द्वारा कयल गेल छल आ हमरालोकनिक राज्य ‘मेक इन बिहार’ एवं ‘इंटरप्राइजिंग बिहारक’ माध्यमे इंटरपिन्योर सभ कें आगाँ बढ़ेबाक लेल, उचित संसाधन उपलब्ध करेबाक लेल डेग भरि चुकल छल.
    जेना कि देखबा मे आयल अछि, पछिला किछु बर्ख मे युवावर्ग अप्पन तकनिकी आ बिनु तकनिकी इनिटिएटिवक द्वारा कृषि एवं खाद्य पदार्थक क्षेत्र मे राज्यक १२ करोड़ लोकक जरूरति पूर्ण कयलक अछि, जे कि ऑस्ट्रेलियाक सम्पूर्ण जनसंख्याक कुल्लम 6 गुणा अछि. ई गप्प प्रेस कें संबोधित करैत बिहार उद्यमी संघक महासचिव अभिषेक सिंह द्वारा बताओल गेल.
    जनतब कराबी जे बिहार मे स्टार्टअप सभ कें बढ़ेबाक लेल किछु प्रयत्नशील युवा इंटरपिन्योर लोकनि जे कि देशक शीर्षस्थ संस्थान जेना IIM, IIT, CFA, CA आदि सं पासआउट छथि, द्वारा बर्ख २०११ मे एही मादे बिहार उद्यमी संघक स्थापना भेल छल. बतबैत चली जे बिहार उद्यमी संघ अर्थात बीईए बिहार सरकारक मार्गदर्शन मे काज करैत अछि, जाहि मे उद्योग विभाग बिहार सरकार सेहो एकटा प्रमुख सहयोगी-सहभागी अछि. एही बर्ख संघ मे ‘इंटरपिन्योर एसोसिएशन ऑफ़ इन्डिया’ आ २७ गोट रास्ट्रीय-अंतर्राष्ट्रीय सहयोगी-सहभागी छथि.
    विदित हो जे एही बर्ख बिहार उद्योग संघ एवं उद्योग विभाग, बिहार सरकारक संयुक्त तत्वाधान मे ‘चतुर्थ बिहार उद्यमिता सम्मेलन २०१७’ एवं ‘स्टार्टअप बिहार’ कराओल जा रहल अछि. आगामी 21 आ २२ मार्च कें प्रस्तावित एही कार्यक्रमक उद्देश्य मूलतः छोट-छिन स्टार्टअप सभ कें आगाँ बढ़ायब, ओकरा कैपिटल मुहैया करायब अछि. एहि बेरुका आयोजनक थीम अछि- Startup Bihar, Invest In Bihar. तहिना एकर मुख्य आकर्षण Startup Expo अछि.
    आयोजनक उद्घाटनकर्ता सह मुख्य अतिथि मुख्यमंत्री बिहार नीतीश कुमार होयताह. कार्यक्रम मे देश-विदेशक इंटरपिन्योर शामिल होयताह. हुनका लोकनिक बजेबाक पाछाँ एतुक्का उद्यमी लोकनि कें विभिन्न तरहक बिज़नेस आईडिया उपलब्ध करायब अछि. सम्मेलन मे पद्मा श्री प्रोफ़ेसर अनिल गुप्ता, HDFC बैंकिंग, इनोवेशन आ IIM कें कंट्री हेड सेहो अऔताह.
    तहन जों अपने उद्यमी बन’ चाहैत छी, उद्यमिताक सम्बन्ध मे जान’ चाहैत छी, बिज़नेस करबाक अवसर चाहैत छी वा ताहि हेतु सरकारक फंड चाहैत छी त’ यथाशीघ्र अप्पन रजिस्ट्रेशन www.bes2017.in पर करी.