एनकाउंटर के बाद हथियार सहित पकड़ाओल गेल छ: टा अपराधी

    0
    434

    कटिहार, मिथिला मिरर: शुक्रदिन साँझ मे अपराधी आ पुुलिसक बीच भेल मुठभेड़ के बाद पुलिस अपराधी के खदेरबा मे सफल रहल आ छ: टा अपराधी के हथियार सहित गिरफ्तार केलक। पुलिस के गुप्त सूचना भेटल छल जाहि के आधार पर अपराधी के गिरफ्तारी के लेल एकटा टीम कटिहार हवाई अड्डा इलाका मे गेल। छापामारी के लेल गेल पुलिस के देखतहि अपराधी फायरिंग करय लागल। जाहि के बाद पुलिस सेहो जबाबी कार्रवाई मे फायरिंग केलक।

    कटिहार सहायक थाना क्षेत्र के हवाई अड्डा के समीप भेल अहि मुठभेड़ मे दूनू तरफ स गोली चलल। जाहि मे एकता अपराधी घायल भय गेल। अहि दौरान पुलिस छः टा अपराधी के गिरफ्तार केलक।

    अपराधी के संग सं पुलिस देशी कट्टा, जिन्दा कारतूस, आ दू टा मोटरसाइकिल समेत तीनटा मोबाइल बरामद केलक। मुठभेड़ मे घायल अपराधी बंटी उर्फ मुन्ना सिंह के तीनटा गोली लागल अछि। पुलिस के कहब अछि जे, मुठभेड़ के दौरान अपराधीक चलाओल गोली सं मुन्ना सिंह घायल भेल अछि।