दरभंगा मे मोबाईल टावर सील हेबाक कारने नेटवर्क ध्वस्त

    0
    345
    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: नगर निगम द्वारा शहर के 29 गोट मोबाइल टावर के सील केलाक बाद विभिन्न कंपनीक मोबाइल नेटवर्क सुस्त भय गेल अछि। अहि इलाका मे जाहि कंपनीक टावर सील भेल अछि, ओहि के सिम सं बात नहि होइत अछि। फोन यदि लागियो जायत अछि त तुरंत कॉल ड्राप भय जाइत अछि। ऐहेन उपभोक्ताक लेल नेटवर्क कंपनई सेहो हाथ खड़ा कय देलक अछि।
    अहि के लेल एखन धरि कोनो वैकल्पिक व्यवस्था नहि कायल गेल अछि। शहर मे विभिन्न कंपनी के 178 टा मोबाइल टावर अछि, अहि मे 29 टा टावर के नगर निगम टैक्स बकाया हेबाक कारने सील कय देलक अछि।
    शहर के लक्ष्मी चौक, मिठनपुरा के जगदीशपुरी, कंप्यूटरवाली गली, अंडीगोला, मालीघाट के भारत माता चौक, अखाड़ाघाट रोड तथा राणी सती मंदिर रोड मे मोबाइल टावर सील हेबाक कारने लोक के अधिक परेशानी भय रहल अछि।