जहरीला शराब सं एक गोटेक मौत आ तीन बीमार

    0
    307

    रोहतास, मिथिला मिरर: बिहारक रोहतास जिला मे शराब पीला सं एकटा व्यक्तिक मौत भय गेल तथा तीन गोटे गंभीर रूप सं बीमार भय गेल अछि। मामला जिलाक काराकाट स जुड़ल बताओल जा रहल अछि।

    शराब स भेल मौतक सूचना भेटलाक बाद जिला प्रशासन मे हड़कम्प मचल अछि। मृतक के नाम परवेज आलम बताओल जा रहल अछि जे, काराकाट थाना के कायस्त-बहुआरा गामक रहय बला छल। मृतक के परिजन सेहो शराब पीबाक बात के स्वीकार केलनि।

    सूचना भेटतहिं बिक्रमगंज एसडीओ राजेश कुमार, एसडीपीओ के अलावा आला अधिकारी मौका पर पहुंचि कय मामला के सुलझेबा लागि गेल छथि। बताओल जा रहल अछि जे, काराकाटक कायस्त-बहुआरा मे शराबक कारोबार धड़ल्ले स होइत अछि।