माईटक धंसना खसलाक कारने तीन गोट युवती’क मौत

    0
    372

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुर मे भेल एकटा हादसा मे तीन युवती के मौत भय गेल। घटना जिलाक सिंघिया थाना के सिंघिया गामक अछि। जानकारी के अनुसार तीनू युवती मौत माईट धंसलाक कारण भेल। माईट धसला सं तीनटा युवती आ एकटा महिला दबि गेल। तीनू युवती के बेहोशी के हालत मे स्थानीय पीएचसी मे पहुंचाओल गेल।

    पीएचसी में जांच के बाद तीनू युवती के डॉक्टर मृत घोषित कय देलक। मृतक मे जगदीश पंडित के 17 सालक बेटी, नरेश कमती के 18 वर्षीय बेटी पुजा कुमारी तथा गांगो मंडल के 18 वर्षीय वेटी निभा कुमारी शामिल अछि।

    जानकारी के अनुसार निभा, सुनीता, पूजा आ सुनीता देवी रविदिन भोर मे कन्हैया पोखैर पर माईट अनबाक लेल गेल छल, ताहि दौरान माईटक बहुत पैघ धसना खसल आ सब ओहि मे दबि गेली। सूचना भेटलाक बाद पहुंचल ग्रामीण मलबा हटा कय सब के निकाललनि।