राजनगरकेँ गौसनगरमे रामनवमी जुलूसमे दंगा, धारा 144 लागू

    0
    401

    मधुबनी, मिथिला मिरर: राजनगर प्रखंडक गौसनगर गाममे बुधदिन रामनवमी जुलूसकें दौरान दू पक्षक बीच जमिकय हंगामा भेल। दूनू पक्ष एकदोसरा पर खूब पाथर बरसौलक जाहिके बाद किछु उपद्रवी द्वारा दू गोट गाडी तथा आस-पासमे आगि लगा देल गेल। सूत्रक अनुसार घटना दू गोट सांप्रदायिक वर्गक बीचकें छल, जाहिमे रामनवमी जुलुसकें दोसर सांप्रदायिक वर्गक लोक घेरि कए दंगा शुरू केने छल।

    घटनाकें बाद मधुबनी जिलाधिकारी, एसपी तथा बहुतो थानाक पुलिस बल घटना स्थल पर पहुँच कए स्थितिकें नियंत्रण करबाक लेल आसपासक इलाकामे धारा 144 लागू कए देलनि। घटनास्थल पर देर राति धरि डीएम गिरिवर दयाल सिंह व एसपी दीपक वरनवाल स्वं मौजूद रहलाह। पाथरबाजीमे दूनू पक्षक किछु लोककेँ गंभीर चोट लागल अछि, मुदा पुलिस प्रशासन अहि बातक पुष्टि नहि कए रहल अछि।

    घटनाक पाछु दू-तीन दिन पहिने एक पक्षक लोककें दोसर पक्ष द्वारा आपत्तिजनक बात कहब बताओल जा रहल अछि। जिलाधिकारी गिरिवर दयाल सिंह कहलनि जे, स्थिति आब नियंत्रणमे अछि, उपद्रवी तत्व पर मामला दर्ज कय कार्रवाई कएल जाएत। बृहस्पतिदिन शांति समितिक बैसक होएत। जिला प्रशासन अफवाहकें देखैत इंटरनेट सेवा बंद करा देने अछि। प्रशासन पूर्ण रुपे तैनात अछि।

    बताओल जा रहल अछि जे, रामनवमी जुलूसमे बहुत गामक लोक शामिल छल। गौसनगरकें समीप जुलूसके पहुंचला पर दोसर पक्षक लोक जुलुसकें रोकि देलक, जाहिकें बाद विवाद बढ़ि गेल। घटनाक बाद गौसनगर, रामपट्टी आ आसपासक क्षेत्रमे विधि व्यवस्थाक लेल धारा 144 लागू कए देल गेल।