विधुत विभागक बहाली मे धांधलीक विरोध करबाक लेल बिहार इंजीनियरिंग के छात्रक बैसक

    0
    385

    पटना, मिथिला मिरर-गुलफराज: मंगलदिन पटना साइंस कॉलेजक मैदान मे बिहारक इंजीनियरिंग एवं पॉलीटेक्निक के छात्रक अहम बैसक भेल। जाहिक अध्यक्षता तकनिकी छात्र संगठन के अध्यक्ष विशाल कुमार द्वारा कायल गेल। जाहि मे छात्रक कहब छल जे, विधुत विभाग द्वारा निकलल बिहार राज्य मे कनीय अभियंताक परीक्षा विभाग मे धांधली भेल अछि। छात्रक आरोप छल जे, ओहि छात्र के सेहो पास कय देल गेल अछि, जकर पंजीयन संख्या रोल नंबर बराबर अछि। अहि तरह 46 छात्रक लिस्ट जारी कय देल गेल अछि।

    छात्र परीक्षाक जाँच उच्च स्त्तर पर करबाक एवं बहाली के अविलंब रोकबाक लेल विभागीय मंत्री विजेंद्र प्रशाद यादव के आवासक घेराव केलक। बिहारक इंजीनियरिंग एवं पॉलीटेक्निकक छात्र पटना साइंस कॉलेज मे मीटिंग केलक जाहि मे सबहक सहमति सं शुक्रदिन राजेंद्रनगर टर्मिनल पर तकनीकी छात्र संगठनक बैनर तर रेल रोकबाक आह्वान कायल गेल अछि।