दरभंगा-मिथिला मिरर: दरभंगा शहरक लालबाग महल्ला निवासी रेवती मिश्रकेँ डॉ जयकान्त मिश्रक पोथी “इन्ट्रोडक्शन टु द फोक लिटरेचर आॅफ मिथिला”क “मिथिलाक लोक साहित्यक भूमिका” नामसँ मैथिलीमे अनुवाद करबा लेल 2016 केर साहित्य अकादमी अनुवाद पुरस्कार प्रदान कयल जेतनि।ई जनतब साहित्य अकादमीमे मैथिलीक प्रतिनिधि डॉ वीणा ठाकुर देलनि अछि।एकर घोषणा मंगलकेँ दिल्लीमे अकादमीक कार्य समितिक बैसारक उपरांत कयल गेल।उल्लेखनीय अछि जे रेवती मिश्र प्रथम महिला छथि जिनका मैथिलीक अनुवाद पुरस्कार लेल चुनल गेलनि अछि।मैथिलीमे ई छब्बीसम अनुवाद पुरस्कार होयत।सोमकेँ भेल निर्णायक मंडलक बैसारमे डॉ केष्कर ठाकुर, डॉ योगानंद झा एवं डॉ इंदिरा झा रेवती मिश्रक पोथीक चयन पुरस्कार लेल कयलनि।
रेवती मिश्रक जन्म 7 जनवरी 1960 केँ भेलनि।इलाहाबाद विश्वविद्यालयसँ संस्कृतमे एमए रेवती मिश्रक पिता डॉ जयकान्त मिश्र मैथिलीक प्रथम इतिहासकार छथि।हिनक पति पंचानन मिश्र सेहो मैथिलीक लेखक आ झारखंड सरकारक सेवानिवृत अधिकारी छथि।ई मूल लेखन आ अनुवाद कार्य करैत रहल छथि।एखन बंगला उपन्यास “दाराशिकोह”क अनुवाद कऽ रहल छथि।हिनक रचना बागमती दामोदर टाइम्स, सान्ध्य गोष्ठी, प्रवासी आदिमे प्रकाशित छनि।अनेक राष्ट्रीय सेमिनार आदिमे भाग लऽ चुकल छथि।हिनक पुरस्कार लेल चयनपर ऋचालोक संस्थाक महासचिव एवं साहित्यकार अमलेन्दु शेखर पाठक प्रसन्नता व्यक्त कयलनि अछि।