दाह संस्कार कय आबि रहल चारि गोटे सड़क हादसा मे गंभीर रूप सं घायल

    0
    284

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: कुहेसक कारने बृहस्पति दिन बिहारक समस्तीपुर मे तेज रफ़्तार स आबि रहल बेलोरो दुर्घटनाग्रस्त भय गेल। अहि हादसा मे 3 महिला समेत 4 गोटे गंभीर रूप स जख्मी भय गेल। सब घायल के पहिने दलसिंहसराय अनुमंडलीय अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल जतय स घायलक नाजूक स्थिति के देखैत पीएमसीएच रेफर कय देल गेल।

    घटना दलसिंहसराय थाना के ढेपुरा गामक समीप एनएच 28 पर भेल, जहन कुहेसक कारण तेज रफ़्तार स आबि रहल बोलेरो अनियंत्रित भय क एकटा गाछ स टकरा गेल। बोलेरो पर सवार सब दरभंगा के रहय वला अछि जे, बेगूसराय के सिमरिया स दाह संस्कार स आबि रहल छल।