राजनाथ केलनि नीतीश सं गप्प, बाढ़ि राहत कार्यक लेलनि जायजा

    0
    273

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे बाईढ़ के लय क केंद्रीय गृहमंत्री राजनाथ सिंह आय मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स बातचीत कय मामलाक जानकारी लेलनि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सोमदिन झारखण्ड के मंत्री सरयू राय के पुस्तक लोकार्पणक मौका पर कहलनि जे, राजनाथ सिंह के बाईढ़क स्थिति के विषय मे सूचित कय देल गेलन्हि आ संगहि हुनका सं आग्रह कायल गेल जे, जल विशेषज्ञक टीम गंगाक स्थिति पर जांच करबाक लेल भेजथि।

    मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अप्पन पीड़ा व्यक्त करैत कहलनि जे, हम राष्ट्रीय सिल्ट मैनेंजमेंटक बात पिछला दस साल स कय रहल छी, मुदा के सुनैया। नीतीश बाईढ़ राहतक लेल चलाओल जा रहल काजक विषय मे कहलनि जे, राज्यक अधिकारी पल-पल बाढ़िक संग-संग राहत कार्य पर नजरि रखने छथि।

    ज्ञात हो कि किछु दिन सं बिहार मे बाईढ़क स्थिति लगातार बिगड़ि रहल अछि। राजधानी पटना के अलावा भोजपुर, बक्सर, रोहतास समेत अरवल, जहानाबाद, नवादा, नालंदा समेत लगभग 12 टा जिला बाढ़ि सं प्रभावित अछि।