सीतामढ़ी मे पीएचसी प्रभारी बनाओल गेल बंधक

    0
    281

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: सीतामढ़ीक सुरसंड के बघाड़ी पंचायतक एक महिलाक बंध्याकरण के बाद स्थिति बिगड़ला पर बुधदिन सुरसंड पीएचसी मे पंचायतक मुखियाक अगुआई मे महिलाक परिजन जमि कय हंगामा केलक। लोक सब पीएचसी के प्रभारी डॉ. अमरनाथ गुप्ता के बंधक बना लेलक।

    बघाड़ी पंचायत वॉर्ड-9 निवासी गुड्डू राय के पत्नी पप्पी देवी’क 3 जनवरी कय सुरसंड पीएचसी मे बंध्याकरण भेल छल। ऑपरेशन के अगिला दिन मरीज के घर पठा देल गेल। अहि बीच घर पर ओकर हालत खराब होबय लागल। बुधदिन परिजन मरीज के पीएचसी लय गेल। पीएचसी प्रभारी डॉ. अमरनाथ गुप्ता स्थिति के देखि सदर अस्पताल रेफर कय देलक।

    अहि बातक सूचना पर ओतय पहुंचल बघाड़ीक मुखिया पद्मराज भारद्वाज के डॉ. गुप्ता सं कहासुनी भय गेल। मुखियाक कहब छल जे, महिलाक ऑपरेशन डॉ. जयशंकर प्रसाद केलक अछि त हुनके सं परामर्श लेनाब चाही। लेकिन डॉ. प्रसाद पीएचसी मे उपस्थित नहि छलाह। अहि बातक लेल डॉ. गुप्ता सं मुखियाक बकझक होबय के बाद महिलाक परिजन तथा मुखियाक समर्थक डॉ. के बंधक बनाकय हंगामा केलक।