ग्रामीण इलाका’क लेल निजी बसकें परमिट भेटब शुरू

    0
    287

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: ग्रामीण इलाकामे रहय वलाक सुविधाकें लेल क्षेत्रीय परिवहन प्राधिकार अहम निर्णय लेलक अछि। प्राधिकार ग्रामीण इलाकाक लेल निजी बसकें परमिट दय देलक अछि। बुधदिन प्रमंडलीय आयुक्त अतुल प्रसादक अध्यक्षतामे भेल प्राधिकारक बैसकमे ई निर्णय लेल गेल। परमिटक लेल आवेदनक प्रकिया बृहस्पति दिन शुरू भए गेल। जाहि रूट पर वैकेंसी अछि, ओतय बसक ट्रीप कम कय ओतय परमिटक संख्या बढ़ाओल जा सकैत अछि।

    पथ परिवहन निगमकें बसक परिचालनकें लेल प्रमंडलीय प्रबंधक सं रूट मांगल गेल अछि। प्राधिकार ओकरा स्थायी परमिट देबा पर विचार कय रहल अछि। बैसकमे अधिकतर ऑटो चालक द्वारा वर्दी, रॉड, रूट आदिक पालन नहि करबा पर आयुक्त नाराजगी व्यक्त केलक। जुगाड़ गाड़ी पर कार्रवाई करबाक निर्णय सेहो लेल गेल अछि।

    बृहस्पति दिन सं एकरा जब्त करबाक लेल अभियान चलाओल जाएत। जाहि रूट पर बसक संख्या कम अछि, ओतय बढ़ाओल जाएत। बैसकमे आरटीए सचिव कुमारी पुनीता श्रीवास्तव सेहो मौजूद छलीह।